सभकेर सुधि अहाँ लै छी हे अम्बे सभकेर सुधि अहाँ लै छी हे अम्बे हमरा किए बिसरै छी हे थिकहुँ पुत्र अहींकेर जननी से तऽ अहाँ जनै छी हे एहन निष्ठुर किए अहाँ भेलहुँ कनिको दृष्टि नहि दै छी हे क्षण-क्षण पल-पल ध्यान करै छी नाम अहींकेर जपै छी हे रैनि-दिवस हम ठाढ़ रहै छी दर्शन बिनु तरसै छी हे छी जगदम्बा, जग अवलम्बा तारिणि तरणि बनै छी हे हमरा बेरि किए ने तकै छी पापी जानि ठेलै छी हे सभ के सुधि अहाँ लै छी हे अम्बे sabker sudhi aahan lai chhi he ambe sbhaker sudhi ahaan lai chhi he ambe hamara kie bisarai chhi he thikahun putr aheenker jananee se t' ahaan janai chhi he ehan nishthur kie ahaan bhelahun kaniko darashti nahi dai chhi he kshnakshn palapal dhayaan karai chhee naam aheenker japai chhi he rainidivas ham thaadah rahai chhee darshan binu tarasai chhi he chhi jagadamba, jag avalambaa taarini tarani banai chhi he hamara beri kie ne takai chhee paapi jaani thelai chhi he sbhaker sudhi ahaan lai chhi he ambe hamara kie bisarai chhi he SOURCE: http://www.yugalsarkar.com/lyrics/sabker-sudhi-aahan-lai-chhi-he-ambe-Lyrics