आशा भरल दिप जरे के,
रस्ता हम निहारी,
कहिया एबे माँ दरसन दै ले,
के के शेर सवारी,
अहि के आस ये जीवन भर माँ,
आहि के बाट तकै छै,
आबू हेमा कोरा उठाबु,
हम बेटा आहाँ के कनै छी।
बाट सजेने छि आसन लगेने छी,
आबु पधारु हे माँ,
बैसल छी भोरे स कानै छी ओरे स,
कोरा उठाबु है माँ,
बाट सजेने छी।
सबहक बिपदा आहाँ हरै छी,
हम्मर निवेदन किये नै सुनै छी,
कोन गल्ती स आहाँ रसल छी,
देखु न अम्बे हम कतेक कनै छी,
अहि के पूजलौ अहि स पूछै छी,
आहाँ छोइर जेबे हम कहाँ,
बाट सजेने छी।
महिमा आहाँ के केनै जानइये,
घुइर के आबू माँ बेटा कनइये,
ममता मई आहाँ पाथर ने बनियो,
कटते कोना दिन माँ किछु करियो,
कतेक कनाबै छी किये ने आबै छी,
निसठुर नै बनियो आहाँ,
बाट सजेने छी।
हम नै मँगे छि भरल बखारी,
चाही ने हमरा बंगला आ गाड़ी,
मोन के मंदिर में बॉस करू माँ,
भक्त क पूरन आस करू माँ,
रामेंद्र लिखै ये प्यासा गबइये,
दरसन देखाबू हे माँ,
बाट सजेने छी आसन लगेने छी,
आबु पधारु हे माँ।
aasha bharal dip jare ke,
rasta ham nihaari,
kahiya ebe ma darasan dai le,
ke ke sher savaari,
ahi ke aas ye jeevan bhar ma,
aahi ke baat takai chhai,
aaboo hema kora uthaabu,
ham beta aahaan ke kanai chhi.
baat sajene chhi aasan lagene chhi,
aabu pdhaaru he ma,
baisal chhi bhore s kaanai chhi ore s,
kora uthaabu hai ma,
baat sajene chhi.
sabahak bipada aahaan harai chhi,
hammar nivedan kiye nai sunai chhi,
kon galti s aahaan rasal chhi,
dekhu n ambe ham katek kanai chhi,
ahi ke poojalau ahi s poochhai chhi,
aahaan chhoir jebe ham kahaan,
baat sajene chhi.
mahima aahaan ke kenai jaaniye,
ghuir ke aaboo ma beta kaniye,
mamata mi aahaan paathar ne baniyo,
katate kona din ma kichhu kariyo,
katek kanaabai chhi kiye ne aabai chhi,
nisthur nai baniyo aahaan,
baat sajene chhi.
ham nai mange chhi bharal bkhaari,
chaahi ne hamara bangala a gaadi,
mon ke mandir me bs karoo ma,
bhakt k pooran aas karoo ma,
ramendr likhai ye pyaasa gabiye,
darasan dekhaaboo he ma,
baat sajene chhi aasan lagene chhi,
aabu pdhaaru he maa.